रिपोर्ट: रविंद्र भारती
खजौली: एड संस्था के संयुक्त सहयोग से एकदिवसीय स्वच्छता जागरूकता कार्यकर्म छात्र-छात्रा के बिच राखल गेल, जाहिक कार्यकर्म के उद्घाटन खजौली प्रमुख महोदया उषा देवी, प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी जयदेव महतो, सखी संस्था के सचिव सुमन जी, भाजपा प्रखंड सचिव सह विद्यालय भूदाता अर्जुन सिंह सम्मिलित रूप सँ दिप प्रज्जवलित कS केलैन ।
सवच्छता कार्यकर्म के अवसर पS सखी संस्थाक सचिव महोदया सुमन जी छात्र – छात्रा के जानौलइन से जीवन में साफ- सफाई के कतेक महत्तव अछि। मध्याहन भोजन खाय सँ पाहिले साबुन सँ हाथ दोबाक चाही,एवं शौच उपरांत साबुन सँ हाथ धोबाक चाही । और खुला स्थान पS पैखाना नै करबाक चाही , बच्चा सब के कहलैनअपन अपन घर में अपन माता – पिता के शौचालय बनेबाक हेतु कहियौ , खुला में सोच सँ परिवार आ समाज में बीमारी महामारी फैलबाक प्रमुख कारण छै । शौचालय निर्माण आसान छै, शौचालय निर्माण हेतु सरकार द्वारा राशि मिलैत अछि ।
विद्यालय प्रसाशन सँ आग्रह केलैन जे छात्र छात्रा के अनुपात में शौचालय निर्माण के अतयंत जरुरी बुझैत, ई काज के पूरा करू। प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी महतो जी सखी संस्था व् वाटर एड संस्था के धन्यवाद देलैन जे एहन कार्यकर्म विद्यालय रखबाक लेल । छात्र छात्रा के कहलैन जे स्वस्थ देह सँ मात्र गुणवक्ता पूर्ण शिक्षा प्राप्त कायल जा सकैत अछि, अपन सपना के पूर्ति और समाज देश सेवा मात्र स्वास्थ रहिके संभव अछि । इतिहास अछि जे आय तक जे भी देश समाज में परिवर्तन आयल अछि मात्र छात्र शक्ति क्रांति सँ पूरा भेल अछि। छात्र छात्र सँ सवस्थ रहबाक अपील केलैन । प्रखंड महोदया उषा देवी छात्र छात्रा के सम्बोधन करैत विद्यालय परिवेश सहित अपन अपन घर दवार के साफ रखबाक कहलैन , साफ कपड़ा , पहिरबाक चाही आदि बात कहलैन। अर्जुन सिंह भाजपा सचिव कहलैन जे विद्यालय में छात्र छात्रा के अनुपात में शौचालय निर्माण होना आवश्यक है । x में मात्र एकटा शौचालय अछि । शौचालय निर्माण हेतु केंद्र सरकार द्वारा राशि उपलब्ध करौल जायत अछि । कार्यकरण के संचालन विद्यालय शिक्षक प्रदीप सिंह केलैन । कार्यकर्म में चित्रकला ,भाषण प्रतियोगिता के कार्यकर्म में अवल्ल आयल प्रतिभागी सब के उपहार प्रदान के प्रोत्साहित केलैन ।प्रतिभागी सब में भाषण व् छत्राकला में प्रथम – ज्योति प्रिय (मध्य वि० कन्हौली, मल्लिक टोल ), द्वतीय सतेंद्र महतो – उत० म०वी० कन्हौली दुसाध टोल , तृत्य भाषण व् चित्रकला भारत प्रकाश चौधरी -उत० म ० वी० कन्हौली दुसाध टोल।
Comments
Post a Comment